* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 5 January, 2010

किदन कहै छै

जहिना अंग्रेजी में प्रोवर्ब आ हिंदी में कहावत,तहिना मैथिली में कहबी। नेनपने सं हम सभ अग्रजलोकनि सं कहबी सुनैत आएल छी । कहबी अपन सभहक संस्कृति केर अंग रहल अछि। मुदा, शहरीकरण केर प्रभाव,रोज़गारपरक आवश्यकता आ कतेको आन कारण सं,अभिव्यक्तिक ओ शैली सभ आब गप्प-सरक्का सं ख़तम भ रहल अछि। इएह सोचि,नववर्ष में कहबी केर साप्ताहिक कॉलम- "किदन कहै छै" प्रारंभ कएल जा रहल अछि। एहि कॉलम में प्रति सप्ताह एकटा कहबी प्रकाशित कएल जाएत। आऊ,हम सभ फेर सं ओहि एहि व्यंग्य-विधा कें प्रयोग कए अपन मैथिलीक मिठास बढएबा लेल प्रयास करी। संगहि इहो आग्रह जे देल गेल कहबी केर वाक्य में सर्वोत्तम प्रयोग केना भ सकैत छैक,से लिखि कए sujhavpeti@gmail.com पर पठाउ। सब प्रतिभागी लोकनिक सुझाओल वाक्य प्रकाशित कएल जाएत।

No comments:

Post a Comment