* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 7 May, 2010

पटना विश्वविद्यालय मे कंप्यूटर क्रांति

पटना विवि के सभ कालेज आ विभाग कम्प्यूटर नेटवर्किंग सं जुड़ए जा रहल अछि। ई काज जून तक पूरा भ जएबाक अनुमान छैक। दो करोड़ रुपय्या के एहि महत्वाकांक्षी योजना कें सिंडिकेट काल्हि स्वीकृति द देलक। मिशन फार एजुकेशन थ्रू इन्फारमेशन एंड कम्युनिकेशन टेक्नोलाजी के लेल विवि क्षेत्रांतर्गत कम्प्यूटरीकरण कार्य के वास्ते राज्य सरकार सं समन्वय स्थापित कएल जाएत। परियोजना कें कनेक्टिविटी भारत दूरसंचार निगम लिमिटेड (बीएसएनएल) देत, जे एहि प्रयोजन सं विवि परिसर में एक एक्सचेंज सेहो बना रहल अछि। ज्ञातव्य जे विवि कें नेटवर्किंग कार्य सन् 2008 सं चलि रहल छैक जकर प्रथम चरण पूरा भ चुकल अछि।>

No comments:

Post a Comment