* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 7 May, 2010

शिक्षक नियुक्ति पर सुप्रीम कोर्टक फैसला 12 कए

बिहार के 34,540 प्रशिक्षण प्राप्त शिक्षक अभ्यर्थी लोकनिक नियुक्ति पर सर्वोच्च न्यायालय 12 मई कए फैसला सुनाओत। प्रधान सचिव श्री सिंह आ महाधिवक्ता पी.के.शाही काल्हि सर्वोच्च न्यायालय में उपस्थित भेलाह। ब्रैस्पति कए मामिला पर सुनवाई के बाद, न्यायमूर्ति अल्तमस कबीर कहलनि जे एहि मामिला मे ओ 12 मई कए निर्णय देताह। ज्ञातव्य जे सुप्रीम कोर्ट 9 दिसंबर कए, प्रशिक्षित शिक्षक सभहक नियुक्ति प्रशिक्षण वरीयताक आधार पर सरकार कें छह हफ्ता मे, पैनल सं नियुक्ति करबाक आदेश देने छल जाहि पर क्रियान्वयन नहि भेल। नियुक्ति प्रक्रिया पूरा करए लेल विभाग जून धरिक समय चाहैत छल।

No comments:

Post a Comment