* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 14 May, 2010

मैट्रिक रिजल्ट 10 दिन में

मैट्रिक के रिजल्ट के तैयारी अन्तिम चरण में अछि आ ई दस दिन मे निकलि जाएत। अनुमान छैक जे 20 सं 25 मई तक ई रिजल्ट घोषित क देल जाएत। एहि वर्ष साढ़े आठ लाख छात्र मैट्रिक परीक्षा में शामिल भेल छलाह। इंटर के कापी के मूल्यांकन एखन जारी छैक आ ओकर रिजल्ट मैट्रिक के बाद घोषित कएल जाएत। एखन राज्य के 40 केन्द्र पर इंटर के कापी जांचल जा रहल अछि। एहि काज मे 15 हजार शिक्षक लगाओल गेल छथि। एहि वर्ष इंटर के परीक्षा मे साढ़े सात लाख छात्र शामिल भेल छलाह।

No comments:

Post a Comment