* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday 17 May, 2010

बिहार केंद्रीय विश्वविद्यालय मे पांच नव कोर्स। शोध सुविधा बढ़त

केंद्रीय विश्वविद्यालय, बिहार में छात्र सभ कें शोध करबाक सुविधा भेटतनि। एहि लेल काज शुरू कएल जा चुकल छैक। किछु नव कोर्स आ रिसर्च वर्क शुरू करबाक योजना सेहो छैक। विश्वविद्यालय के एकेडमिक काउंसिल डॉक्टरल प्रोग्राम शुरू करए लेल नियम तैयार करबाक निर्णय कएने अछि। एखन एहि विश्वविद्यालय मे मास्टर इन डेवलपमेंट स्टडीज टा के पढ़ाई भ रहल छैक। विवि प्रशासन आब एहि ठाम बायोटेक्नालॉजी, कंप्यूटर साइंस, इनवायरमेंटल साइंस, गणित व स्टैटिस्टिक्स में मास्टर डिग्री के पढ़ाई शुरू करए जा रहल अछि। डेवलपमेंटल स्टडीज में पीएचडी कोर्स सेहो शुरू कएल जाएत।

एकेडमिक काउंसिल पीएचडी कोर्स के रूपरेखा यूजीसी द्वारा निर्धारित विनियम के आधार पर तैयार करबाक निर्णय लेने अछि। पीएचडी कोर्स में एडमिशन, ओकर थिसिस तैयार करए आ ओकरा जमा करबाक धरिक लेल विस्तृत रिपोर्ट तैयार कएल जाएत।

No comments:

Post a Comment