* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 25 May, 2010

एक लाख शिक्षक के बहाली अगस्त तक

मानव संसाधन विकास मंत्री हरिनारायण सिंह के कहब छन्हि कि अगस्त तक एक लाख सं बेसी शिक्षकलोकनिक नियुक्ति हएत। एहि में नियमित वेतन पर 34540 आर अनुबंध पर 70 हजार शिक्षक कें नियुक्त कएल जाएत। हुनकर इहो कहब छलन्हि कि केंद्र कें शिक्षा के अधिकार कानून पर 90 फीसदी राशि खर्च करबाक चाही आ राज्य सरकार 10 फीसदी राशि खर्च करए लेल तैयार अछि। कहलनि जे केंद्र के सहयोगक बिनु बिहार में शिक्षा के अधिकार कानून सही तरीका सं लागू नहिं कएल जा सकैत अछि। श्री सिंह कहलनि कि शिक्षा के अधिकार कानून पर 28 मई कए केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल के अध्यक्षता में दिल्ली में बैठक हएत जाहि मे शिक्षा के अधिकार कानून पर केंद्र सं 90 फीसदी राशि खर्च करबाक मांग कएल जाएत। हुनकर कहब छलन्हि कि शिक्षा के अधिकार कानून लागू भ गेलाक कारणे करीब चारि लाख शिक्षकक आवश्कता पड़त जाहि में सं एक लाख के नियुक्ति अगस्त तक क लेल जाएत। एखन राज्य मे 3.15 लाख शिक्षक छथि(राष्ट्रीय सहारा,पटना,25 मई,2010)।

No comments:

Post a Comment