* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 19 May, 2010

मगध महिला कॉलेज मे वोकेशनल कोर्स

मगध महिला कालेज में विभिन्न स्वपोषित कोर्से में नामांकन के लेल आवेदन फार्म भेट रहल अछि। बी.काम., बीसीए, बीबीए, बीएसडब्ल्यू, पीजीडीसीए, पीजीडीडब्ल्यूसीडब्ल्यू, पीजीडीपीई के लिए फार्म भरल जा सकैत अछि। बी.काम. के वास्ते फार्म भरबाक आखिरी तिथि 28 मई अछि। एहि मे एडमिशन अंक के आधार पर हएत जबकि आन सभहक लेल प्रवेश परीक्षा देमय पड़त। बीसीए आ बीबीए के लेल आवेदन जमा करएबाक आखिरी तिथि 26 मई अछि। बीसीए के लेल 20 मई के तिथि निर्धारित कएल गेल अछि मुदा आब 29 मई कए प्रवेश परीक्षा हएत। तहिना बीबीए के परीक्षा 22 मई के बजाए 28 मई कए हएत। फार्म कोनहु वर्किंग डे में कालेज काउंटर पर भोरे दस बजे सं दुपहर एक बजे तक ल सकैत छी। बीएसडब्ल्यू (बैचलर आफ सोशल वेल्फेयर) आ पीजीडीसीए (पीजी डिप्लोमा इन कम्प्यूटर एप्लीकेशन्स) के लेल 19 जून अंतिम आवेदन तिथि अछि जबकि बीएसडब्ल्यू के वास्ते प्रवेश परीक्षा के तिथि 22 जून आर पीजीडीसीए के लेल 21 जून छैक। पीजीडीडब्ल्यूसीडब्ल्यू (पीजी डिप्लोमा इन वीमेन एंड चाइल्ड वेल्फेयर) आर पीजीडीपीई (पीजी डिप्लोमा इन पाप्यूलेशन एजुकेशन) के वास्ते अंतिम आवेदन तिथि 19 जून अछि।एकर प्रवेश परीक्षा 23 जून कए हएत। बीसीए में कुल 80 जबकि बी.काम. में 200 सीट अछि। बीबीए व बीएसडब्ल्यू मे 60-60 सीट अछि। पीजीडीसीए मे 40 सीट आ पीजीडीडब्ल्यूसीडब्ल्यू व पीजीडीपीई के लेल 50-50 सीट अछि। हिंदुस्तान के रिपोर्ट सेहो देखूः

No comments:

Post a Comment