* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 25 May, 2010

इंटर कॉलेज में अधिकतम सीट तय

शैक्षणिक सत्र 2010-11 सं, सभ इंटर कॉलेज में नामांकन के लेल अधिकतम छात्रक संख्या निर्धारित क देल गेल अछि। सभ इंटर कॉलेज में विज्ञान, कला आर वाणिज्य के तीन-तीन सेक्शन हएत। सभ इंटर कॉलेज में 128 के बजाय मात्र 60 छात्रक नामांकन हएत। एहि नियम कें वित्तरहित इंटर कॉलेज कें एहि साल सं हर हाल में लागू करए पड़तैक। जाहि वित्तरहित इंटर कॉलेज के पास संसाधन छैक ओकरा चारि सेक्शन कें मंजूरी देल जएतैक। उत्क्रमित माध्यमिक विद्यालय में सेहो सभ संकाय के तीन-तीन सेक्शन खोलल जाएत। ज्ञातव्य जे सभ माध्यमिक विद्यालय कें इंटर कॉलेज में उत्क्रमित कएल जा रहल छैक, हालांकि एखन धरि मात्र 400 माध्यमिक विद्यालय में इंटर के पढ़ाई शुरू भ पाएल छैक। एखन प्रत्येक सेक्शन में 128 छात्र-छात्राओं का नाम रहैत छैक। जांच में पता चलल अछि जे कतेको छात्रक नाम दू-दू सेक्शन में छैक। तें, इंटर कॉलेजों कें 2008 के अनुदान में व्यवधान उत्पन्न कएल जा रहल छल(राष्ट्रीय सहारा,पटना,25.5.2010)

No comments:

Post a Comment