* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 12 May, 2010

अल्पसंख्यक के मार्गदर्शन अरबी-फारसी विश्वविद्यालय सं

प्रदेश के मेधावी अल्पसंख्यक विद्यार्थीलोकनि कें सरकारी नौकरी आ प्रतियोगिता परीक्षा के तैयारी लेल मौलाना मजहरूल हक अरबी व फारसी विश्वविद्यालय (एमएमएचयू) आगू आएल अछि। पछिला एक मई कए भेल सिपाही भर्ती परीक्षा के वासेते विश्वविद्यालय राजधानी पटना आ नौ जिला में 750 अभ्यर्थी कें मार्गदर्शन कएलक। आब ई विश्वविद्यालय प्रबंधन कें प्रतिष्ठित प्रवेश परीक्षा- कैट व मैट के लेल कोचिंग आरंभ करए जा रहल अछि। अल्पसंख्यक कल्याण विभाग राज्य सरकार के सहयोग सं आरंभ भेल एहि योजना कें समीक्षा पछिला हफ्ता कुलपति के साथ बैठक मे कएलक। कार्यक्रम के वास्ते, विवि-अधिकृत अल्पसंख्यक कल्याण विभाग (एमएमएचयू) कें अल्पसंख्यक मेधावी विद्यार्थी सभ कें विभिन्न प्रतियोगिता परीक्षा के लेल तैयार करबाक हेतु अधिकृत कएलक अछि। एहि योजनांतर्गत प्रदेश कें कोनहु अल्पसंख्यक विद्यार्थी, जे स्नातक अछि या स्नातक कें परीक्षा देमए जा रहल अछि, एहि योजना के तहत कोचिंग में मार्गदर्शन पएबाक हकदार अछि। कोचिंग के केंद्र पटना समेत 10 जिला मे बनाओल गेल छैक। वर्तमान मे, पटना के अतिरिक्त गया, आरा, भभुआ, सिवान, सीतामढ़ी, मोतिहारी, समस्तीपुर, भागलपुर व किशनगंज में एहन कोचिंग केंद्र चलि रहल अछि।सिपाही भर्ती परीक्षा के लेल लिखित परीक्षा मे मार्गदर्शन के बाद आब ओकर सफल अभ्यर्थी कें शारीरिक परीक्षा के तैयारी सेहो विवि 25 मई के बाद कराओत। एहि मे एहन अभ्यर्थीलोकनि कें सेहो शामिल कएल जाएत जे लिखित परीक्षा के लेल कोचिंग के लाभ नहि ल सकल छलाह। जून में विवि, प्रबंधन संस्थान में प्रवेशक वास्ते जरूरी कामन एडमिशन टेस्ट (कैट) आ मैनेजमेंट एप्टीट्यूट टेस्ट (मैट) के लेल सेहो कोचिंग आरंभ करए जा रहल अछि।

No comments:

Post a Comment