* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Thursday 20 May, 2010

राज्य सरकार कॉलेज शिक्षक सेवानिवृत्ति उम्र 65 राखए पर आमादा

बिहार विधान परिषद में सत्तारुढ़ जनता दल यूनाईटेड के उप-नेता आर राज्य उर्दू शिक्षक संघ के अध्यक्ष प्रो. असलम आजाद के कहब छन्हि कि नीतीश सरकार विश्वविद्यालय शिक्षकलोकनिक सेवानिवृत्ति उम्र सीमा 62 सं 65 वर्ष करए लेल कृत संकल्प अछि। तें,पटना उच्च न्यायालय के फैसला सं एहि पर कोनो फर्क नहि पड़तैक। प्रो. आजाद कहलनि कि शिक्षक कें उम्र सीमा 62 सं 65 वर्ष करबाक लेल मुख्यमंत्री के निर्देश पर विश्वविद्यालय अधिनियम में संशोधन कएल गेल छैक आ अब एहि अधिनियम पर केवल राज्यपाल सह कुलाधिपति के स्वीकृति भेटब बाकी छैक। ओकर बाद ई प्रभावी भ जाएत।

No comments:

Post a Comment