* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Saturday, 29 May 2010

बिहार में शिक्षक प्रशिक्षण में केंद्रीय मदद

शिक्षा का अधिकार कानून पर अमल करबाक लेल, मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल इंदिरा गांधी राष्ट्रीय मुक्त विश्वविद्यालय (इग्नू) के माध्यम सं बिहार में शिक्षकलोकनि कें प्रशिक्षित करएबा मे मदद के भरोसा देने अछि। एहि संबंध मे सिब्बल सं भेंट कए बिहार के स्कूल शिक्षा मंत्री केंद्र सं आओर धन के मांग कएने छलाह। उत्तरप्रदेश के शिक्षा मंत्री सेहो हुनका सं भेंट कए कहने छलाह जे शिक्षक सभहक भर्ती आ आन संसाधनक वास्ते ओकरो केंद्र सं आओरो मदद चाही। उत्तरप्रदेश के सुझाव छल जे प्राइमरी शिक्षक के लेल इग्नू के दू वर्षीय डिप्लोमा कोर्स मददगार साबित भ सकैत अछि मुदा राष्ट्रीय अध्यापक शिक्षा परिषद ओकरा मान्यता नहि दैत छैक। संगहि, कोर्स में बदलाव सेहो जरूरी छैक। बिहारो एही पर जोर देलक। खबर छैक जे सिब्बल जी एहि पर सहमत भेलाह जे उत्तर प्रदेश आ बिहार के शिक्षक प्रशिक्षण लेल इग्नू के पाठ्यक्रम मे बदलाव कएल जाए।

No comments:

Post a Comment