* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday, 13 April 2010

कॉलेज ऑफ कॉमर्स में नि:शुल्क कोचिंग शुरू

पटना यूनिवर्सिटी केर कॉलेज ऑफ कॉमर्स में काल्हि सं यूजीसी संपोषित स्पेशल कोचिंग प्रारंभ भेल। सत्रक उद्घाटन करैत कॉलेज के पूर्व प्राचार्य आ वीर कुंवर विश्वविघालय के कुलपति डॉ. सुभाष प्रसाद सिन्हा कहलनि जे यूजीसी द्वारा संचालित कोचिंग सं एसी, एसटी आ ओबीसी के छात्र लाभन्वित हएता। कोचिंग मेंसभ प्रतियोगिता परीक्षाक तैयारी कराओल जएतैक। नालंदा खुला विश्वविघालय के प्रतिकुलपति डॉ. कौशलेंद्र कुमार सिंह कहलनि जे एहि कोचिंग मे नामांकन लेल पंद्रह सौ अभ्यर्थी आवेदन कएने छलाह जाहि मे सं कुल तीस सौ विद्यार्थीलोकनिक चयन कएल गेल। एहिमें एसी-एसटी कोटा सं एक सए आ ओबीसी सं एक सए लड़का आर सए लड़की केर चयन कएल गेल।

No comments:

Post a Comment