* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 21 April, 2010

मदरसा बोर्ड कें रद्द परीक्षा 6 फरवरी सं

बिहार स्टेट मदरसा एडुकेशन बोर्ड के रद्द परीक्षा 6 फरवरी सं हएत। ई परीक्षा 8जिला के 22 परीक्षा केंद्र पर 13 फरवरी तक आयोजित हएत। वस्तानिया (आठवां), फौकानिया (मैट्रिक) व मौलवी (इंटर) के 11 हजार छात्र एहि परीक्षा मे शामिल हएताह। ई परीक्षा 11 फरवरी तक निर्धारित छल परन्तु बोर्ड ,परीक्षा तिथि में किछु संशोधन करैत 7 फरवरी के निर्धारित परीक्षा रद्द क देलक। दरअसल, 7 फरवरी कए नवोदय विद्यालय केर परीक्षा छैक। तें,आब परीक्षा 13 फरवरी तक हएत। प्रैक्टिकल परीक्षा 14 फरवरी क हएत। मदरसा बोर्ड ई परीक्षा सभ पछिला साल मई-जून में लेने छल। एकर परिणामो सितंबर में घोषित क देल गेल छल। मई-जून में भेल परीक्षा के दौरान नवादा, खगिड़या, सहरसा, किटहार, पूर्णिया, अरिरया, समस्तीपुर आ दरभंगाजिला के 22 परीक्षाकेन्द्र पर हंगामा भेल। तें,एहि परीक्षा केन्द्र सभ पर वस्तानिया सं ल कए मौलवी धरिक परीक्षा कें बोर्ड रद्द क देलक। शुरू में बोर्ड फैसला लेने छल कि परीक्षा दुबारा नहि लेल जाएत परन्तु एक माह पूर्व, बोर्ड कमेटी के बैठक में,रद्द परीक्षा दुबारा लेबाक निर्णय भेल। 6 फरवरी सं होय बला परीक्षा के लिए तैयारी अंतिम चरण में छैक। एडिमट कार्ड छात्र कें संबंधित मदरसा सं भेटतन्हि।
(हिंदुस्तान,पटना,19.4.2010)

No comments:

Post a Comment