* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Thursday 22 April, 2010

11 हजार आंगनबा़ड़ी केंद्र खुजत

छह बरख तक कें गरीब बच्चा कें स्कूल-पूर्व शिक्षा लायक बनएबाक लेल राज्य सरकार चालू वित्तीय वर्ष में 11हजार 880 आंगनबा़ड़ी केंद्र खोलत। 5440 मिनी आंगनबा़ड़ी केंद्र आर एतबे अतिरिक्त आंगनबा़ड़ी केंद्र खोलल जाएत । आंगनबा़ड़ी केंद्रक स्थापना स्कूल सं बाहर रहनिहार छात्रक संख्या में कमी आनबाक प्रयोजन सं कएल गेल छल।
राज्य मे,समेकित बाल विकास योजनांतर्गत पहिनहि सं 80 हजार 797 आंगनबा़ड़ी केंद्र चलि रहल अछि । एहिमे मात्र ५ हजार केंद्र के पास अपन भवन छैक। भवनक अभाव में बच्चा सभहक प़ढ़ाई में मारिते दिक्कत भ रहल छैक आ स्कूल-पूर्व शिक्षा के अवधारणा कार्यरूप नहि ल पाबि रहल अछि । पछिला वित्तीय वर्ष मे, साढे तीन हजार केंद्र के भवन निर्माण के लेल डे़ढ़ करो़ड़ रूपया भेजल गेल छल । एक भवन के निर्माण पर4 लाख 66 हजार रूपय्या खर्च करबाक प्रावधान छैक।

No comments:

Post a Comment