* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Friday 30 April, 2010

संस्कृत उत्थान गोष्ठी

काल्हि पटना मे,उत्तर-पूर्व क्षेत्र के संस्कृत विभाग-विद्या भारती द्वारा संस्कृत चिंतन गोष्ठी आयोजित कएल गेल। उद्घाटन करैत राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ के क्षेत्रीय प्रचारक श्री स्वांतरंजन जी कहलनि जे संस्कृत कें प्रतिएं आचार्यलोकनिक अनुराग आ निष्ठा रहलहि सं संस्कृत आम लोक तक पहुंचत आ ई सर्वजन लेल सुगम भ सकत। हुनकर इहो कहब रहन्हि जे संस्कृत कें मातृभाषा के रूप मे दर्ज कराओल जाए( संभवतः,हुनकर संकेत जनगणना मे भाषा संबंधी कॉलम देया छल)। एही अवसर पर डॉ. मिथिलेश कुमारी आ रमेंद्र राय,संयोजक डॉ. धीरेन्द्र झा आदि कहलनि जे संस्कृत कें विश्वव्यापी बनाएब जरूरी छैक आ इहो जे संस्कृत कें,राष्ट्रोत्थान लेल उपयोगी बनाएब जरूरी छैक। डॉ. वैद्यनाथ मिश्र,डॉ. रामेश्वर धारी सिंह,नंद कुमार झा,जयंत कुमार आ संजय कुमार आदि सेहो अपन विचार रखलनि।

No comments:

Post a Comment