मानव संसाधन विकास मंत्रालय विश्वविद्यालय अनुदान आयोग कें पत्र लिखिकए स्पष्ट निर्देश देने अछि जे लेक्चरर बहाली लेल कोनहु व्यक्ति अथवा संस्था कें नेट सं छूट नहि देल जाए। ज्ञातव्य जे महाराष्ट्र सं किछु गोटे नेट सं छूट देबाक वास्ते आवेदन कएने छलाह। एतेक धरि जे महाराष्ट्र कें एक टा मंत्री कपिल सिब्बल जी सं एहि सिलसिला मे भेंट सेहो कएने छलाह मुदा एचआरडी ओहि पर ध्यान नहि देलक। अपन निर्देश मे विभाग आयोग कें इहो ध्यान दिअओने अछि जे मुंगेरकर कमेटी सेहो कहने अछि जे लेक्चरर बहाली लेल नेट कें न्यूनतम योग्यता राखल जाए।

No comments:
Post a Comment