* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday, 21 April 2010

भाषा अकादमी बरकरार रहत

बिहार में भाषा अकादमी सभहक अस्तित्व पूर्ववत रहत। सरकार स्वीकार कएने अछि जे सभ भाषा अकादमी कें एक छत के नीचा आनब संभव नहि अछि किएक तं सरकार के पास एहन कोनो भवन उपलब्ध नहि छैक। मैथिली अकादमी, भोजपुरी अकादमी, मगही अकादमी, संस्कृत अकादमी, दक्षिण भारतीय भाषा संस्थान आ बांग्ला अकादमी के अध्यक्ष-निदेशक सभहक संग कल्हुका बैठक मे, उच्च शिक्षा निदेशक जेपी सिंह कहलनि कि प्रत्येक अकादमीक स्थापना उद्देश्य विशेष सं कएल गेल छल मुदा अकादमी ओहि अपेक्षा पर ठाढ नहि भ सकल। तें, आब सरकार एक भाषाई अकादमी कें स्थापना कए, छबो अकादमी के ओकरे अंतर्गत राखए चाहैत अछि। प्रस्ताव छैक जे सभ अकादमी में अलग-अलग निदेशक व अध्यक्ष हएताह आ ओ सभ भाषा अकादमी के एक महानिदेशक के नियंत्रण मे रहताह। उच्च शिक्षा निदेशक ईहो कहलनि जे आब भाषा अकादमी सभ कें हर साल बताबए पड़तैक जे ओकर अस्तित्व किएक बनाओल राखल जाए। श्री सिंह इहो कहलनि जे अकादमी सभहक खाली पद कें भरबाक लेल मानव संसाधन विकास मंत्री हरिनारायण सिंह केर सहमति ल लेल गेल अछि।

No comments:

Post a Comment