* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday, 11 October 2010

कॉपी मे बार कोडिंग

मगध विश्वविद्यालय के उत्तरपुस्तिका में आब बार कोडिंग कएल जाएत। विवि के परीक्षा नियंत्रक सुशील कुमार सिंह के कहब छन्हि जे बार कोडिंग के बाद कॉपी केर नकल संभव नहि रहि जएतैक। ई व्यवस्था कदाचार मुक्त परीक्षा संचालित करए मे बेश मददगार हेतैक,एहन अनुमान छैक। एहि सं,कॉपी के अदला-बदली के आशंका सेहो समाप्त भ जएतैक।

Monday, 4 October 2010

मैट्रिक पूरक परीक्षा 7 सं। तैयारी पूरा

सात अक्टूबर सं होमयवला मैट्रिक पूरक परीक्षा कें तैयारी बिहार विद्यालय परीक्षा समिति पूरा क लेने अछि। यद्यपि एहि बेर परीक्षा लेबा मे बड़ देर भ गेलैक,बिहार बोर्ड कें कहब छैक जे एकर बादो परीक्षा परिणाम समय पर प्रकाशित क देल जएतैक। बोर्ड नकलमुक्त परीक्षा के लेल चाक-चौबंद अछि । छात्रलोकनि कें पुरनके पैटर्न पर परीक्षा कें तैयारी करबाक चाही किएक तं समिति कें अध्यक्ष एके पी यादव कें कहब छन्हि जे परीक्षा में कोनहु तरहक बदलाव नहि कएल गेल छैक। राज्य के हर जिला में एक -एक परीक्षा केंद्र बनाओल जएबाक बात छैक । परञ्च, जाहि जिला मे परीक्षार्थीलोकनिक संख्या बेसी हेतैक,ओहिठाम एकाधिक परीक्षा केंद्र सेहो बनाओल जा सकैछ। ज्ञातव्य जे एहि पूरक परीक्षा मे करीब 80 हजार छात्र शामिल भ रहल छथि। ई संख्या एखनि धरि सर्वाधिक अछि। एहि सं दू टा बात फरिछाइत छैक। एक तं ई जे मैट्रिक परीक्षा में छात्रलोकनिक संख्या बढ़ि रहल छैक आ दोसर ई जे फेल भेनिहारो छात्रक संख्या कम नहि छैक । जे मुख्य परीक्षा में फेल होइत छथि,सएह छात्र पूरक परीक्षा में शामिल होइत छथि।

Friday, 3 September 2010

19 अनुमंडल मुख्यालय मे डिग्री कॉलेज

बिहार के 19 अनुमंडल में डिग्री कॉलेज खुजत। मानव संसाधन विकास विभाग एहि लेल आठ करोड़ रुपय्या उपलब्ध करा देने अछि। एहि डिग्री कॉलेज सभहक लेल निजी क्षेत्र के मदद सेहो लेल जएतैक। संगहि,एहि कॉलेज सभ मे बीएड आ आन व्यावसायिक विषय सभ केर पढ़ाई सेहो शुरू हेतैक। मानव संसाधन विकास विभाग आम जनता सं अपील कएने अछि जे जं ओ लोकनि अपन माता-पिता के नाम पर कॉलेज खोलए चाहैत छथि तं राज्य सरकार कें पांच एकड़ जमीन देमय पड़तन्हि। सरकार ओहि जमीन पर अपन पाई सं कॉलेज स्थापित करत।
जमीन कें तलाश करबाक लेल संबंधित जिलाधिकारी लोकनि कें निर्देश द देल गेल छन्हि। डिग्री कॉलेज अनुमंडल मुख्यालय सिमरी बख्तियारपुर, त्रिवेणीगंज, धमदाहा, बयासी, मनिहारी, बेनीपुर, तेघड़ा, बलिया, नीमचक-मथानी, रजौली, राजगीर, जगदीशपुर, पीरो, सीतामढ़ी, पुपरी, बगहा आर महुआ में खुजत। प्रत्येक महाविद्यालय के निर्माण पर आठ-आठ करोड़ रुपय्या कें लागत अएबाक संभावना छैक। ज्ञातव्य जे यूजीसी निर्देश देने छल जे पछुआएल इलाका सभ मे उच्च शिक्षा के विकास लेल डिग्री स्तरीय महाविद्यालय स्थापित कएल जाए। कुल खर्च के 70 फीसदी लागत सेहो यूजीसी वहन क रहल अछि।

Sunday, 22 August 2010

मगध विश्वविद्यालय मे परीक्षा

मगध विश्वविद्यालय में बी.टेक. पार्ट-1,2010(A),बी.टेक. पार्ट-2-2010(A) आ बीएससी इंजीनियरिंग-3-2010(A), के परीक्षा 25.8.2010 सं प्रारम्भ भ रहल अछि। विस्तृत कार्यक्रम लेल अपन-अपन कॉलेज सं सम्पर्क कएल जाए।

मगध यूनिवर्सिटी मे डिस्टेंस एजुकेशन सं बी.एड.

मगध विश्वविद्यालय में 2010-12 सत्र में,दूरस्थ शिक्षा सं बी.एड. करबाक लेल आवेदन करए के तारीख 1 सितम्बर क देल गेल अछि। विश्वविद्यालय एहि सं संबंधित मूल विज्ञापन 22 जुलाई कए प्रकाशित कएने छल। स्नातक अथवा स्नातकोत्तर स्तर पर न्यूनतम 50 प्रतिशत अंकक साथ डिग्री प्राप्त कएनिहार छात्र आवेदन करबाक लेल पात्र छथि। ध्यान रहए,जे दाखिलाक लेल प्रवेश परीक्षा 19 सितम्बर कए निश्चित भेल छैक।

Sunday, 15 August 2010

कृष्णा इंस्टीट्यूट में पैरा मेडिकल के चारि टा नव कोर्स

बिहार में पैरा-मेडिकलकर्मी सभहक बड्ड कमी छैक । 50 सालक उम्र के बाद, सभ गोटे के कम सं कम दू बेर पैरा मेडिकलकर्मी सभहक सेवा के जरूरति होइत छैक । इएह देखि कृष्णा इंस्टीट्यूट ऑफ पैरा-मेडिकल एंड डेंटल साइंसेज के अध्यक्ष डॉ. एसके मंडल काल्हि प्रेस कांफ्रेंस में जानकारी देलनि जे पैरा-मेडिकल स्टाफ कें कमी दूर करबाक लेल संस्थान में एहि वर्ष चारि टा पाठ्यक्रम शुरू कएल जा रहल छैक । ई कोर्स छैक डिप्लोमा इन एक्स-रे टेक नीशियन, डिप्लोमा इन मेडिक ल प्रयोगशाला टेक नीशियन, डिप्लोमा इन ऑफ थेलमिक सहायक आर डिप्लोमा इन ऑपरेशन थिएटर सहायक केर । एहि कोर्स सभ मे नाम लिखएबाक उपक्रम 16 अगस्त सं शुरू भ जाएत। 20 फीसदी सीट आधा शुल्क पर गरीब, पिछड़ा आ दलित वर्गक छात्र लेल आरक्षित रहत। संस्थान कें बिहार के स्वास्थ्य विभाग सं मान्यता भेटि गेल छैक।

Tuesday, 8 June 2010

शिक्षक बहाली


(

(हिंदुस्तान,8 जून,2010)

Saturday, 5 June 2010

इंटर मे टॉप 15 मे 9 लड़की

इंटर साइंस परीक्षा के रिजल्ट निकलि गेल अछि। एक बेर फेर लड़की सभ आगू रहल अछि। पहिल पांच स्थान लड़किए सभहक खाता मे गेलैक। टॉप 15 में 9 टा लड़की। एहि बेरक इंटर साइंस के परीक्षा में 92.51 फीसदी परीक्षार्थी सफल भेल छथि। छात्रालोकनिक सफलता प्रतिशत 93.25 आ छात्र सभहक 92.30 प्रतिशत रहल छैक। पछिला बरख 91.85 फीसदी छात्र सफल रहल छलाह मुदा एहि साल 92.51 फीसदी छात्र सफल रहलाह।

टॉप 10 के सूची पर एक नज़रि

1. श्वेता रंजन - जेडी वुमेन्स कॉलेज,पटना - 425

2. रूबी कुमारी - सेंट कबीर कॉलेज,समस्तीपुर - 424

3. निहारिका - एएनयूएसएस,महाराजगंज - 421

4. सोनम कुमारी- एनयू यादव कॉलेज,मधेपुरा- 419

5. फिरदौस परबीन -टीपी कॉलेज, मधेपुरा-- 418

6. कुणाल प्रताप- एसडीएस कॉलेज,अरवल- 417

7. विवेक रंजन- एमआरजेडीआई कॉलेज, बेगूसराय- 417

8. चंदन कुमार सिंह- सीएमएससी कॉलेज,दरभंगा- 416

9. अभिषेक अग्रवाल- गया कॉलेज- 415

10.राज पराशर- बीडीएसडी कॉलेज, सारण- 414

Wednesday, 2 June 2010

भाषा अकादमीःमकान बदलल,तक़दीर नहि

काल्हि ख़बरि छल जे भाषा अकादमी के स्थिति मे आमूल परिवर्तन होमए जा रहल अछि। मुदा आजुक हिंदुस्तान मे प्रकाशित खबरि कहैछ जे नव भवन मे शिफ्ट भेला मात्र सं अकादमीक कल्याण नहि हेतैक किएक तं गतिविधि संबंधी फाइल सभ सरकार दबौने छैकः

Tuesday, 1 June 2010

सिपाही भर्ती परीक्षा के रिजल्ट निकलल

केंद्रीय चयन पर्षद 14 अप्रील कए सिपाही भर्ती लेल लिखित परीक्षा लेने छल। ओकर परिणाम आई घोषित भ गेल अछि। सफल उम्मीदवार कें शारीरिक जांच सं गुजरए पड़तनि। देखू सफल प्रत्याशी लोकनिक रोल नम्बरः



















(हिंदुस्तान,पटना,1.6.2010)

भाषा अकादमी मे प्रकाशन,बिक्री आ शोध संबंधी प्रयास




















(हिंदुस्तान,पटना,1 जून,2010,पृष्ठ-2)

Saturday, 29 May 2010

बिहार में शिक्षक प्रशिक्षण में केंद्रीय मदद

शिक्षा का अधिकार कानून पर अमल करबाक लेल, मानव संसाधन विकास मंत्री कपिल सिब्बल इंदिरा गांधी राष्ट्रीय मुक्त विश्वविद्यालय (इग्नू) के माध्यम सं बिहार में शिक्षकलोकनि कें प्रशिक्षित करएबा मे मदद के भरोसा देने अछि। एहि संबंध मे सिब्बल सं भेंट कए बिहार के स्कूल शिक्षा मंत्री केंद्र सं आओर धन के मांग कएने छलाह। उत्तरप्रदेश के शिक्षा मंत्री सेहो हुनका सं भेंट कए कहने छलाह जे शिक्षक सभहक भर्ती आ आन संसाधनक वास्ते ओकरो केंद्र सं आओरो मदद चाही। उत्तरप्रदेश के सुझाव छल जे प्राइमरी शिक्षक के लेल इग्नू के दू वर्षीय डिप्लोमा कोर्स मददगार साबित भ सकैत अछि मुदा राष्ट्रीय अध्यापक शिक्षा परिषद ओकरा मान्यता नहि दैत छैक। संगहि, कोर्स में बदलाव सेहो जरूरी छैक। बिहारो एही पर जोर देलक। खबर छैक जे सिब्बल जी एहि पर सहमत भेलाह जे उत्तर प्रदेश आ बिहार के शिक्षक प्रशिक्षण लेल इग्नू के पाठ्यक्रम मे बदलाव कएल जाए।

Wednesday, 26 May 2010

देखू कोन कॉलेज मे कथीक पढाई नीक














(हिंदुस्तान,पटना,26..5.2010)

डीयू मे एडमिशन काल्हि सं। विवरण नोट करू




















(हिंदुस्तान,पटना,26.5.2010)

भाषा विषय पढबाक हुअए तं बीडी कॉलेज










(हिंदुस्तान,पटना,26.5.2010)

कला विषय के लेल पटना यूनिवर्सिटी




















(हिंदुस्तान,पटना,26.5.2010)

पटना मे एडमिशन












(हिंदुस्तान,पटना,26.5.2010)

मौलाना वली रहमानी कें ज्योति अवार्ड




















(हिंदुस्तान,पटना,26.5.2010)

केंद्रीय विश्वविद्यालय मे एडमिशन के डेट बढ़ल




















(हिंदुस्तान,पटना,26.5.2010)

इग्नू के बी.एड.परीक्षा 30 कए








(हिंदुस्तान,पटना,26.5.2010)

दू बच्चा वला सरकारी कर्मचारी कें परिवार नियोजन भत्ता

राज्य सरकार दू बच्चा वला सरकारी कर्मचारी कें ग्रेड-पे के आधार पर परिवार नियोजन भत्ता भुगतान करए कें मंजूरी द देने अछि।आब एहन कर्मचारी कें ग्रेड-पे के आधार पर 210 रूपये सं एक हजार रूपया तक परिवार नियोजन भत्ता भेटतनि। एखन धरि राज्यकर्मी कें वार्षिक वेतन वृद्धि के आधार पर परिवार नियोजन भत्ता भेटैत छल। परिवार नियोजन भत्ता नियमावली 2007 में संशोधन प्रस्ताव के सेहो राज्य मंत्रिपरिषद स्वीकृति द देने अछि।

Tuesday, 25 May 2010

इंटर कॉलेज में अधिकतम सीट तय

शैक्षणिक सत्र 2010-11 सं, सभ इंटर कॉलेज में नामांकन के लेल अधिकतम छात्रक संख्या निर्धारित क देल गेल अछि। सभ इंटर कॉलेज में विज्ञान, कला आर वाणिज्य के तीन-तीन सेक्शन हएत। सभ इंटर कॉलेज में 128 के बजाय मात्र 60 छात्रक नामांकन हएत। एहि नियम कें वित्तरहित इंटर कॉलेज कें एहि साल सं हर हाल में लागू करए पड़तैक। जाहि वित्तरहित इंटर कॉलेज के पास संसाधन छैक ओकरा चारि सेक्शन कें मंजूरी देल जएतैक। उत्क्रमित माध्यमिक विद्यालय में सेहो सभ संकाय के तीन-तीन सेक्शन खोलल जाएत। ज्ञातव्य जे सभ माध्यमिक विद्यालय कें इंटर कॉलेज में उत्क्रमित कएल जा रहल छैक, हालांकि एखन धरि मात्र 400 माध्यमिक विद्यालय में इंटर के पढ़ाई शुरू भ पाएल छैक। एखन प्रत्येक सेक्शन में 128 छात्र-छात्राओं का नाम रहैत छैक। जांच में पता चलल अछि जे कतेको छात्रक नाम दू-दू सेक्शन में छैक। तें, इंटर कॉलेजों कें 2008 के अनुदान में व्यवधान उत्पन्न कएल जा रहल छल(राष्ट्रीय सहारा,पटना,25.5.2010)

एक लाख शिक्षक के बहाली अगस्त तक

मानव संसाधन विकास मंत्री हरिनारायण सिंह के कहब छन्हि कि अगस्त तक एक लाख सं बेसी शिक्षकलोकनिक नियुक्ति हएत। एहि में नियमित वेतन पर 34540 आर अनुबंध पर 70 हजार शिक्षक कें नियुक्त कएल जाएत। हुनकर इहो कहब छलन्हि कि केंद्र कें शिक्षा के अधिकार कानून पर 90 फीसदी राशि खर्च करबाक चाही आ राज्य सरकार 10 फीसदी राशि खर्च करए लेल तैयार अछि। कहलनि जे केंद्र के सहयोगक बिनु बिहार में शिक्षा के अधिकार कानून सही तरीका सं लागू नहिं कएल जा सकैत अछि। श्री सिंह कहलनि कि शिक्षा के अधिकार कानून पर 28 मई कए केंद्रीय मानव संसाधन मंत्री कपिल सिब्बल के अध्यक्षता में दिल्ली में बैठक हएत जाहि मे शिक्षा के अधिकार कानून पर केंद्र सं 90 फीसदी राशि खर्च करबाक मांग कएल जाएत। हुनकर कहब छलन्हि कि शिक्षा के अधिकार कानून लागू भ गेलाक कारणे करीब चारि लाख शिक्षकक आवश्कता पड़त जाहि में सं एक लाख के नियुक्ति अगस्त तक क लेल जाएत। एखन राज्य मे 3.15 लाख शिक्षक छथि(राष्ट्रीय सहारा,पटना,25 मई,2010)।

10वीं मे 95 प्रतिशत सं बेसी नम्बर नहि भेटत




















(हिंदुस्तान,पटना,25.5.2010)

संयुक्त प्रवेश परीक्षा साक्षात्कार कार्यक्रम




















(हिंदुस्तान,पटना,25.5.2010)

डिप्लोमा प्रवेश परीक्षा परिणाम

















(हिंदुस्तान,पटना,25.5.2010)

पॉलिटेकनिक आ पैरा-मेडिकल(डेंटल) परीक्षा परिणाम


(हिंदुस्तान,पटना,25.5.2010)

Friday, 21 May 2010

सीबीएसई समेत तमाम बोर्ड के रिजल्ट

सीबीएसई समेत तमाम बोर्डक रिजल्ट एहि लिंक पर अछि।

Thursday, 20 May 2010

बंगला आ संस्कृत शिक्षक के नियुक्ति हएत


(हिंदुस्तान,पटना,20.5.2010)

राज्य सरकार कॉलेज शिक्षक सेवानिवृत्ति उम्र 65 राखए पर आमादा

बिहार विधान परिषद में सत्तारुढ़ जनता दल यूनाईटेड के उप-नेता आर राज्य उर्दू शिक्षक संघ के अध्यक्ष प्रो. असलम आजाद के कहब छन्हि कि नीतीश सरकार विश्वविद्यालय शिक्षकलोकनिक सेवानिवृत्ति उम्र सीमा 62 सं 65 वर्ष करए लेल कृत संकल्प अछि। तें,पटना उच्च न्यायालय के फैसला सं एहि पर कोनो फर्क नहि पड़तैक। प्रो. आजाद कहलनि कि शिक्षक कें उम्र सीमा 62 सं 65 वर्ष करबाक लेल मुख्यमंत्री के निर्देश पर विश्वविद्यालय अधिनियम में संशोधन कएल गेल छैक आ अब एहि अधिनियम पर केवल राज्यपाल सह कुलाधिपति के स्वीकृति भेटब बाकी छैक। ओकर बाद ई प्रभावी भ जाएत।

Wednesday, 19 May 2010

विकलांगता प्रमाणपत्र प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र सं




















(हिंदुस्तान,पटना,19.3.2010)

मगध महिला कॉलेज मे वोकेशनल कोर्स

मगध महिला कालेज में विभिन्न स्वपोषित कोर्से में नामांकन के लेल आवेदन फार्म भेट रहल अछि। बी.काम., बीसीए, बीबीए, बीएसडब्ल्यू, पीजीडीसीए, पीजीडीडब्ल्यूसीडब्ल्यू, पीजीडीपीई के लिए फार्म भरल जा सकैत अछि। बी.काम. के वास्ते फार्म भरबाक आखिरी तिथि 28 मई अछि। एहि मे एडमिशन अंक के आधार पर हएत जबकि आन सभहक लेल प्रवेश परीक्षा देमय पड़त। बीसीए आ बीबीए के लेल आवेदन जमा करएबाक आखिरी तिथि 26 मई अछि। बीसीए के लेल 20 मई के तिथि निर्धारित कएल गेल अछि मुदा आब 29 मई कए प्रवेश परीक्षा हएत। तहिना बीबीए के परीक्षा 22 मई के बजाए 28 मई कए हएत। फार्म कोनहु वर्किंग डे में कालेज काउंटर पर भोरे दस बजे सं दुपहर एक बजे तक ल सकैत छी। बीएसडब्ल्यू (बैचलर आफ सोशल वेल्फेयर) आ पीजीडीसीए (पीजी डिप्लोमा इन कम्प्यूटर एप्लीकेशन्स) के लेल 19 जून अंतिम आवेदन तिथि अछि जबकि बीएसडब्ल्यू के वास्ते प्रवेश परीक्षा के तिथि 22 जून आर पीजीडीसीए के लेल 21 जून छैक। पीजीडीडब्ल्यूसीडब्ल्यू (पीजी डिप्लोमा इन वीमेन एंड चाइल्ड वेल्फेयर) आर पीजीडीपीई (पीजी डिप्लोमा इन पाप्यूलेशन एजुकेशन) के वास्ते अंतिम आवेदन तिथि 19 जून अछि।एकर प्रवेश परीक्षा 23 जून कए हएत। बीसीए में कुल 80 जबकि बी.काम. में 200 सीट अछि। बीबीए व बीएसडब्ल्यू मे 60-60 सीट अछि। पीजीडीसीए मे 40 सीट आ पीजीडीडब्ल्यूसीडब्ल्यू व पीजीडीपीई के लेल 50-50 सीट अछि। हिंदुस्तान के रिपोर्ट सेहो देखूः

कॉलेज शिक्षक रिटायरमेंट 62 मे

पटना उच्च न्यायालय के न्यायाधीश दीपक मिश्र और मिहिर कुमार झा के खंडपीठ शिक्षकलोकनिक सेवानिवृत्ति उम्र ६२ वर्ष करबाक फैसला देलन्हि अछि। ज्ञातव्य जे पूर्व मे, हाईकोर्ट के एकल पीठ शिक्षक के सेवानिवृत्ति उम्र ६२ सं ब़ढ़ाकए ६५ वर्ष करबाक फैसला देने छल। राज्य सरकार एकल पीठ के फैसला के हाईकोर्ट में चुनौती देने छल जाहि पर अदालत सुनवाई के बाद ई फैसला देलक। सरकार कालेज शिक्षक कें यूजीसी जकां सुविधा, सेवानिवृत्ति के उम्र ब़ढ़एबाक लेल विवि अधिनियम बिल के मंजूरी दने छल। हिंदुस्तानक रिपोर्ट देखूः


Monday, 17 May 2010

बिहार संयुक्त प्रवेश परीक्षा पर्षद के प्रथम चरण परीक्षाफल

(हिंदुस्तान,पटना,14.5.2010)

जेल के वास्ते सिपाही भर्ती




















(हिंदुस्तान,पटना,14.5.2010)

डीयू मे पत्रकारिता आ फिजिकल एजुकेशन के वास्ते अलग फॉर्म

















(हिंदुस्तान,पटना,15 मई,2010)

अलगप्पा यूनिवर्सिटी के डिग्रीधारी बनि सकताह पुस्तकालयाध्यक्ष








(हिंदुस्तान,पटना,16.5.2010)

प्राथमिक शिक्षक नियोजन जून तक




















(हिंदुस्तान,पटना,17.5.2010)

बिहार केंद्रीय विश्वविद्यालय मे पांच नव कोर्स। शोध सुविधा बढ़त

केंद्रीय विश्वविद्यालय, बिहार में छात्र सभ कें शोध करबाक सुविधा भेटतनि। एहि लेल काज शुरू कएल जा चुकल छैक। किछु नव कोर्स आ रिसर्च वर्क शुरू करबाक योजना सेहो छैक। विश्वविद्यालय के एकेडमिक काउंसिल डॉक्टरल प्रोग्राम शुरू करए लेल नियम तैयार करबाक निर्णय कएने अछि। एखन एहि विश्वविद्यालय मे मास्टर इन डेवलपमेंट स्टडीज टा के पढ़ाई भ रहल छैक। विवि प्रशासन आब एहि ठाम बायोटेक्नालॉजी, कंप्यूटर साइंस, इनवायरमेंटल साइंस, गणित व स्टैटिस्टिक्स में मास्टर डिग्री के पढ़ाई शुरू करए जा रहल अछि। डेवलपमेंटल स्टडीज में पीएचडी कोर्स सेहो शुरू कएल जाएत।

एकेडमिक काउंसिल पीएचडी कोर्स के रूपरेखा यूजीसी द्वारा निर्धारित विनियम के आधार पर तैयार करबाक निर्णय लेने अछि। पीएचडी कोर्स में एडमिशन, ओकर थिसिस तैयार करए आ ओकरा जमा करबाक धरिक लेल विस्तृत रिपोर्ट तैयार कएल जाएत।

Friday, 14 May 2010

मैट्रिक रिजल्ट 10 दिन में

मैट्रिक के रिजल्ट के तैयारी अन्तिम चरण में अछि आ ई दस दिन मे निकलि जाएत। अनुमान छैक जे 20 सं 25 मई तक ई रिजल्ट घोषित क देल जाएत। एहि वर्ष साढ़े आठ लाख छात्र मैट्रिक परीक्षा में शामिल भेल छलाह। इंटर के कापी के मूल्यांकन एखन जारी छैक आ ओकर रिजल्ट मैट्रिक के बाद घोषित कएल जाएत। एखन राज्य के 40 केन्द्र पर इंटर के कापी जांचल जा रहल अछि। एहि काज मे 15 हजार शिक्षक लगाओल गेल छथि। एहि वर्ष इंटर के परीक्षा मे साढ़े सात लाख छात्र शामिल भेल छलाह।

Wednesday, 12 May 2010

बेगूसराय मे इंजीनियरिंग कॉलेज आ पूर्णिया मे कृषि विश्वविद्यालय

बेगूसराय जिले में इंजीनियरिंग कॉलेज आर पूर्णिया जिले में कृषि विश्वविद्यालय खोलबाक फैसला लेल गेल अछि। खादी ग्रामोद्योग के राज्य में बढ़ावा देबाक लेल खादी ग्रामोद्योग बोर्ड के गठन कएल जाएत जकर अध्यक्ष उप-मुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी हएता।
बेगूसराय इंजीनियरिंग कॉलेज के नाम राष्ट्रीय कवि रामधारी सिंह दिनकर के नाम पर रखबाक फैसला कएल गेल छैक। पूर्णिया के कृषि विश्वविद्यालय के नाम भोला पासवान शास्त्री कृषि विश्वविद्यालय रहत। राज्य सरकार के अनुसार, पूर्णियां कृषि विश्वविद्यालय पर 77 करोड़ रुपय्या खर्च कएल जाएत।

अल्पसंख्यक के मार्गदर्शन अरबी-फारसी विश्वविद्यालय सं

प्रदेश के मेधावी अल्पसंख्यक विद्यार्थीलोकनि कें सरकारी नौकरी आ प्रतियोगिता परीक्षा के तैयारी लेल मौलाना मजहरूल हक अरबी व फारसी विश्वविद्यालय (एमएमएचयू) आगू आएल अछि। पछिला एक मई कए भेल सिपाही भर्ती परीक्षा के वासेते विश्वविद्यालय राजधानी पटना आ नौ जिला में 750 अभ्यर्थी कें मार्गदर्शन कएलक। आब ई विश्वविद्यालय प्रबंधन कें प्रतिष्ठित प्रवेश परीक्षा- कैट व मैट के लेल कोचिंग आरंभ करए जा रहल अछि। अल्पसंख्यक कल्याण विभाग राज्य सरकार के सहयोग सं आरंभ भेल एहि योजना कें समीक्षा पछिला हफ्ता कुलपति के साथ बैठक मे कएलक। कार्यक्रम के वास्ते, विवि-अधिकृत अल्पसंख्यक कल्याण विभाग (एमएमएचयू) कें अल्पसंख्यक मेधावी विद्यार्थी सभ कें विभिन्न प्रतियोगिता परीक्षा के लेल तैयार करबाक हेतु अधिकृत कएलक अछि। एहि योजनांतर्गत प्रदेश कें कोनहु अल्पसंख्यक विद्यार्थी, जे स्नातक अछि या स्नातक कें परीक्षा देमए जा रहल अछि, एहि योजना के तहत कोचिंग में मार्गदर्शन पएबाक हकदार अछि। कोचिंग के केंद्र पटना समेत 10 जिला मे बनाओल गेल छैक। वर्तमान मे, पटना के अतिरिक्त गया, आरा, भभुआ, सिवान, सीतामढ़ी, मोतिहारी, समस्तीपुर, भागलपुर व किशनगंज में एहन कोचिंग केंद्र चलि रहल अछि।सिपाही भर्ती परीक्षा के लेल लिखित परीक्षा मे मार्गदर्शन के बाद आब ओकर सफल अभ्यर्थी कें शारीरिक परीक्षा के तैयारी सेहो विवि 25 मई के बाद कराओत। एहि मे एहन अभ्यर्थीलोकनि कें सेहो शामिल कएल जाएत जे लिखित परीक्षा के लेल कोचिंग के लाभ नहि ल सकल छलाह। जून में विवि, प्रबंधन संस्थान में प्रवेशक वास्ते जरूरी कामन एडमिशन टेस्ट (कैट) आ मैनेजमेंट एप्टीट्यूट टेस्ट (मैट) के लेल सेहो कोचिंग आरंभ करए जा रहल अछि।

बिटसैट के परीक्षा ऑनलाइन








(हिंदुस्तान,पटना)

Tuesday, 11 May 2010

मगध यूनिवर्सिटी के पार्ट-थ्री परीक्षा कार्यक्रम




















(हिंदुस्तान,पटना,9.5.2010)

दिल्ली विश्वविद्यालय मे भाषा विषय मे प्रवेश
















(हिंदुस्तान,पटना,11.5.2010)

ब्लॉक आ जिला स्तर पर भर्ती




















(हिंदुस्तान,पटना,11.5.2010)

झारखंड मे मैट्रिक परीक्षा मे नेतरहाट के अंकित टॉपर

















(हिंदुस्तान,पटना,11.5.2010)

भोजपुरी के मान्यता वास्ते आंदोलन




















(हिंदुस्तान,पटना,11.5.2010,पृ. 6)

न्यायिक सेवा मे आरक्षण पर फैसला के वास्ते जज कमेटी




















(हिंदुस्तान,पटना,11.5.2010)

बिहार मे मात्र 12 बीएड कॉलेज फिट
















(हिंदुस्तान,पटना,12.5.2010)

Monday, 10 May 2010

झारखंड मे मैट्रिक परीक्षा के रिजल्ट निकलल

झारखंड मे मैट्रिक के परिणाम आइ घोषित भ गेल। एहि बरख एहि परीक्षा मे लगभग चारि लाख परीक्षार्थी शामिल भेल छलाह। आइए,एकेडमिक काउंसिल केर शैक्षिक पंचाग 2011 के विमोचन सेहो भेल।
रिजल्ट देखए लेल क्लिक करू।

Saturday, 8 May 2010

पटना मे एजुकेशन फेयर शुरू

हिंदुस्तान ग्रुप पटना मे आई सं दू दिनक एजुकेशन फेयर शुरू क रहल अछि। करियर संबंधी एहि मेला मे प्रवेश निःशुल्क अछि। देखू हिन्दुस्तान केर रिपोर्टः

Friday, 7 May 2010

पटना विश्वविद्यालय मे कंप्यूटर क्रांति

पटना विवि के सभ कालेज आ विभाग कम्प्यूटर नेटवर्किंग सं जुड़ए जा रहल अछि। ई काज जून तक पूरा भ जएबाक अनुमान छैक। दो करोड़ रुपय्या के एहि महत्वाकांक्षी योजना कें सिंडिकेट काल्हि स्वीकृति द देलक। मिशन फार एजुकेशन थ्रू इन्फारमेशन एंड कम्युनिकेशन टेक्नोलाजी के लेल विवि क्षेत्रांतर्गत कम्प्यूटरीकरण कार्य के वास्ते राज्य सरकार सं समन्वय स्थापित कएल जाएत। परियोजना कें कनेक्टिविटी भारत दूरसंचार निगम लिमिटेड (बीएसएनएल) देत, जे एहि प्रयोजन सं विवि परिसर में एक एक्सचेंज सेहो बना रहल अछि। ज्ञातव्य जे विवि कें नेटवर्किंग कार्य सन् 2008 सं चलि रहल छैक जकर प्रथम चरण पूरा भ चुकल अछि।>

शिक्षक नियुक्ति पर सुप्रीम कोर्टक फैसला 12 कए

बिहार के 34,540 प्रशिक्षण प्राप्त शिक्षक अभ्यर्थी लोकनिक नियुक्ति पर सर्वोच्च न्यायालय 12 मई कए फैसला सुनाओत। प्रधान सचिव श्री सिंह आ महाधिवक्ता पी.के.शाही काल्हि सर्वोच्च न्यायालय में उपस्थित भेलाह। ब्रैस्पति कए मामिला पर सुनवाई के बाद, न्यायमूर्ति अल्तमस कबीर कहलनि जे एहि मामिला मे ओ 12 मई कए निर्णय देताह। ज्ञातव्य जे सुप्रीम कोर्ट 9 दिसंबर कए, प्रशिक्षित शिक्षक सभहक नियुक्ति प्रशिक्षण वरीयताक आधार पर सरकार कें छह हफ्ता मे, पैनल सं नियुक्ति करबाक आदेश देने छल जाहि पर क्रियान्वयन नहि भेल। नियुक्ति प्रक्रिया पूरा करए लेल विभाग जून धरिक समय चाहैत छल।

यूपीएससी मे ईवा आ तन्वी के सफलता सं रांची मे खुशी

संघ लोक सेवा आयोग के 2009 सिविल सेवा परीक्षा मे, रांची के दू छात्रा के सफलता सं खुशी के माहौल अछि। डा. विजय शंकर सहाय के पुत्री ईवा सहाय के टापर्स में तेसर आ लड़की सभहक वर्ग में पहिल स्थान छन्हि। ओम्हर, रांची के तन्वी सुंदरियाल टापर्स लिस्ट में छठम आ लड़की के वर्ग में दोसर स्थान पर छथि। ज्ञातव्य जे मुख्य परीक्षा में देश भरि सं चयनित 875 छात्र-छात्रा मे 15 गोटे झारखंड के छथि। पछिलो बरख, झारखंड के शुभ्रा सक्सेना यूपीएससी में देश भरि में टाप कएने छलीह।

सिविल सेवा के परिणाम निकलल

सिविल सेवा परीक्षा,2009 के परिणाम निकलि गेल अछि। परिणाम देखए लेल क्लिक करू। हिंदुस्तान,पटना के खबरि आओर विस्तार सं-

Wednesday, 5 May 2010

सिविल सेवा





















(हिंदुस्तान,दिल्ली,5 मई,2010)

नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन के मान्यता भेटल




















(हिंदुस्तान,पटना,1 मई,2010)

Tuesday, 4 May 2010

बिहार केंद्रीय विश्वविद्यालय प्रवेश परीक्षा संबंधी पूछताछ 3 मई कए पटना मे











(हिंदुस्तान,पटना,3.5.2010)

बिहार में इंजीनियरिंगःदावेदार 60 हजार,सीट चारि हजार




















(हिंदु्स्तान,पटना,4.5.2010)

87 हज़ार मे पटना सं इंजीनियरिंग

पटना कें ओम साईं इंस्टीट्यूट ऑफ टेक्नोलॉजी मात्र 87 हज़ार रूपया मे इंजीनियरिंग के मान्यताप्राप्त डिग्री उपलब्ध करा रहल अछि। एहि रकम मे, छात्रावास तं अछिए,खेलकूद केर सुविधा सेहो देल जा रहल अछि। ई आर्थिक रूप सं पिछड़ल लोकनिक लेल वरदान छैक।



















(हिंदुस्तान,4.5.2010 मे प्रकाशित)

एडमेरिट-एपटेक ग्रुप खोलत इंजीनियरिंग कॉलेज आ एमबीए प्रशिक्षण केंद्र




















(हिंदुस्तान,पटना,4.5.2010)