* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 1 July, 2009

बिहारो में प्रोफेसर लोकनि 65 वर्ष में रिटायर हेताह

मुख्यमंत्री नीतीश कुमार 30 जून कए विधान परिषद में कहलनि जे सरकार विश्र्वविद्यालय शिक्षक सभहक सेवानिवृत्ति उम्र 62 सं बढ़ाकए 65 वर्ष करबाक लेल सरकार तैयार छैक। चमचालोकनि के फायदा पहुंचएबाक लेल फैसला के बैकडेट सं लागू करबाक परंपरा रहल छैक मुदा एहि मुद्दा पर विधि विभाग सं परामर्शक बादे कोनो निर्णय लेल जाएत। मुख्यमंत्री शून्यकालक बाद विश्र्वविद्यालय शिक्षकलोकनिक लेल यूजीसी पैकेज लागू करए सम्बन्धी सदस्यलोकनिक अनुरोध पर कहलनि जे हुनका एहि सम्बन्ध में विशेष जानकारी नहीं छन्हि। हुनक कहब रहनि जे वर्तमान सरकार एहन कानून बनओने अछि जाहि सं यूजीसी वेतनमान स्वत: लागू भए जाएत।

No comments:

Post a Comment