* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday, 11 October 2010

कॉपी मे बार कोडिंग

मगध विश्वविद्यालय के उत्तरपुस्तिका में आब बार कोडिंग कएल जाएत। विवि के परीक्षा नियंत्रक सुशील कुमार सिंह के कहब छन्हि जे बार कोडिंग के बाद कॉपी केर नकल संभव नहि रहि जएतैक। ई व्यवस्था कदाचार मुक्त परीक्षा संचालित करए मे बेश मददगार हेतैक,एहन अनुमान छैक। एहि सं,कॉपी के अदला-बदली के आशंका सेहो समाप्त भ जएतैक।

Monday, 4 October 2010

मैट्रिक पूरक परीक्षा 7 सं। तैयारी पूरा

सात अक्टूबर सं होमयवला मैट्रिक पूरक परीक्षा कें तैयारी बिहार विद्यालय परीक्षा समिति पूरा क लेने अछि। यद्यपि एहि बेर परीक्षा लेबा मे बड़ देर भ गेलैक,बिहार बोर्ड कें कहब छैक जे एकर बादो परीक्षा परिणाम समय पर प्रकाशित क देल जएतैक। बोर्ड नकलमुक्त परीक्षा के लेल चाक-चौबंद अछि । छात्रलोकनि कें पुरनके पैटर्न पर परीक्षा कें तैयारी करबाक चाही किएक तं समिति कें अध्यक्ष एके पी यादव कें कहब छन्हि जे परीक्षा में कोनहु तरहक बदलाव नहि कएल गेल छैक। राज्य के हर जिला में एक -एक परीक्षा केंद्र बनाओल जएबाक बात छैक । परञ्च, जाहि जिला मे परीक्षार्थीलोकनिक संख्या बेसी हेतैक,ओहिठाम एकाधिक परीक्षा केंद्र सेहो बनाओल जा सकैछ। ज्ञातव्य जे एहि पूरक परीक्षा मे करीब 80 हजार छात्र शामिल भ रहल छथि। ई संख्या एखनि धरि सर्वाधिक अछि। एहि सं दू टा बात फरिछाइत छैक। एक तं ई जे मैट्रिक परीक्षा में छात्रलोकनिक संख्या बढ़ि रहल छैक आ दोसर ई जे फेल भेनिहारो छात्रक संख्या कम नहि छैक । जे मुख्य परीक्षा में फेल होइत छथि,सएह छात्र पूरक परीक्षा में शामिल होइत छथि।