मगध विश्वविद्यालय में बी.टेक. पार्ट-1,2010(A),बी.टेक. पार्ट-2-2010(A) आ बीएससी इंजीनियरिंग-3-2010(A), के परीक्षा 25.8.2010 सं प्रारम्भ भ रहल अछि। विस्तृत कार्यक्रम लेल अपन-अपन कॉलेज सं सम्पर्क कएल जाए।
Sunday, 22 August 2010
मगध यूनिवर्सिटी मे डिस्टेंस एजुकेशन सं बी.एड.
मगध विश्वविद्यालय में 2010-12 सत्र में,दूरस्थ शिक्षा सं बी.एड. करबाक लेल आवेदन करए के तारीख 1 सितम्बर क देल गेल अछि। विश्वविद्यालय एहि सं संबंधित मूल विज्ञापन 22 जुलाई कए प्रकाशित कएने छल। स्नातक अथवा स्नातकोत्तर स्तर पर न्यूनतम 50 प्रतिशत अंकक साथ डिग्री प्राप्त कएनिहार छात्र आवेदन करबाक लेल पात्र छथि। ध्यान रहए,जे दाखिलाक लेल प्रवेश परीक्षा 19 सितम्बर कए निश्चित भेल छैक।
Sunday, 15 August 2010
कृष्णा इंस्टीट्यूट में पैरा मेडिकल के चारि टा नव कोर्स
बिहार में पैरा-मेडिकलकर्मी सभहक बड्ड कमी छैक । 50 सालक उम्र के बाद, सभ गोटे के कम सं कम दू बेर पैरा मेडिकलकर्मी सभहक सेवा के जरूरति होइत छैक । इएह देखि कृष्णा इंस्टीट्यूट ऑफ पैरा-मेडिकल एंड डेंटल साइंसेज के अध्यक्ष डॉ. एसके मंडल काल्हि प्रेस कांफ्रेंस में जानकारी देलनि जे पैरा-मेडिकल स्टाफ कें कमी दूर करबाक लेल संस्थान में एहि वर्ष चारि टा पाठ्यक्रम शुरू कएल जा रहल छैक । ई कोर्स छैक डिप्लोमा इन एक्स-रे टेक नीशियन, डिप्लोमा इन मेडिक ल प्रयोगशाला टेक नीशियन, डिप्लोमा इन ऑफ थेलमिक सहायक आर डिप्लोमा इन ऑपरेशन थिएटर सहायक केर । एहि कोर्स सभ मे नाम लिखएबाक उपक्रम 16 अगस्त सं शुरू भ जाएत। 20 फीसदी सीट आधा शुल्क पर गरीब, पिछड़ा आ दलित वर्गक छात्र लेल आरक्षित रहत। संस्थान कें बिहार के स्वास्थ्य विभाग सं मान्यता भेटि गेल छैक।
Subscribe to:
Posts (Atom)