* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday, 18 May 2009

Lectureship in Bihar- मैथिली पर गाज गिरबाक संभावना

संविधानक आठम अनुसूची में मैथिलीक प्रवेशक उपरांत एहि में नौकरीक संभावना बढ़ल देखि कए,कतेको पीएचडी केनिहार प्रसन्न भेल छलाह जे बिहारक विश्वविद्यालय में 2009 में होमय बला भर्ती में हुनकर लेक्चरशिप केओ नहिं रोकि सकैत छन्हि। मुदा स्थिति एतेक आसान नहिं। बिहार सरकार सभ विश्वविद्यालय के पत्र लिखने अछि जे किछु विषय में ओहि अनुपात में शिक्षकक बहाली लेल विज्ञापन देल जाए जाहि अनुपात में ओहि विश्वविद्यालय में संबंधित विषयक छात्र होथि। एहि क्रम में चारि विषयक खासतौर सं उल्लेख कएल गेल अछि जाहि में मैथिलीक अतिरिक्त संस्कृत,फारसी आ भूगोल शामिल अछि। एक एहन समय में जखन आन-आन राज्य भाषा विश्वविद्यालय खोलि रहल अछि,बिहार में राजभवनक एहि पत्रकें भाषाक प्रतिएं घोर विनाशकारी कदम मानल जएबाक चाही। सरकारी संरक्षणक बिनु भाषाक विनाश निश्चित छैक। समय आबि गेल छैक जे आब,अपन वेतन-भत्ता आ सेवानिवृत्तिक आयु बढ़एबाक लेल लगातार संघर्षरत रहनिहार बिहारक विश्वविद्यालय शिक्षक संघ अपन आंदोलन में एहि मुद्दाकें प्रमुखता सं उठाबए। ओना,मैथिली सं बेसी खस्ताहाल आन उल्लिखित भाषा सभ अछि। जखन छोट-छोट जगह में पढाईलेल शिक्षकक नियुक्तिए नहिं होएत तं दूर-दराजक छात्रक लेल आओर कोन विकल्प रहि जेतैक-सिवाए विश्वविद्यालय मुख्यालय में आबिकए पढ़बाक?की मिथिलांचलक लेल संघर्षरत रहनिहार लोकनिक निन्न आबो खुजतनि?
टाइम्स आफ इंडिया में 15 मई,2009 कए प्रकाशित रिपोर्टक लेल एहि लिंक पर क्लिक करु-

Saturday, 16 May 2009

एतेक आसान नहिं बिहार में लेक्चरशिप


हिंदुस्तान,पटना,16मई,2009

Wednesday, 13 May 2009

बिहार में लेक्चरर बनबाक अछि? अंक जोड़ू


हिंदुस्तान,12मई,2009