* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Tuesday 22 December, 2009

टरफिस करब त परीक्षा नहिं द सकब

आब कॉलेज में पचहत्तर प्रतिशत सं कम हाजिरी बला सभके परीक्षा में बैसए नहिं देल जेतनि। मानव संसाधन विभाग विश्वविघालयों पत्र पठाकए कहलक अछि जे सत्रक दौरान कक्षा में विद्यार्थी लोकनिक पचहत्तर प्रतिशत उपस्थिति के लेल शिक्षक आ अभिभावक के समय-समय पर बैठक हुअए। अभिभावक लोकनिक संगहि विद्यार्थी लोकनि के बताओल जएबाक चाही जे पचहत्तर प्रतिशत सं कम उपस्थिति भेला पर परीक्षा में नहीं बैसए देल जेतनि। विश्वविद्यालय प्रशासन के इहो निर्देश देल गेल छैक जे निर्धारित समय पर कोर्स हर हाल में पूरा कएल जाए। विश्वविद्यालय के ईहो पता लगेबाक निर्देश देल गेल छैक जे आखिर कक्षा में कम उपस्थिति के की कारण छैक। अनुपस्थित विद्यार्थी के संबंध में अभिभावकों के जानकारी देल जाए। 17 दिसम्बर,2009 कए निर्गत एहि पत्रक असर 22 दिसम्बर,2009 केर एहि विज्ञापन में देखूः

No comments:

Post a Comment