* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Monday 19 April, 2010

सचिवालय मे एक चौथाई सहायक भर्ती पदोन्नति सं

आब एक चौथाई सहायक पद उच्च श्रेणी लिपिक सभ कें प्रोन्नत कए भरल जाएत। एहि लेल पांच सदस्यीय कमेटी के गठन क देल गेल छैक। राज्य सरकार द्वारा बिहार सचिवालय सेवा नियमावली,2010 कें मंजूरी देलाक कारणें सहायक सं उप-सचिव आ समतुल्य कें ग्रेड निश्चित क देल गेल अछि।

मुदा संगहि स्पष्ट कएल गेल अछि जे प्रशासनिक प्रशिक्षण संस्थान अथवा एहि तरहक आन संस्थान में आयोजित प्रशिक्षण पाठ्यक्रम पूरा नहि करनिहार कें भविष्य मे प्रोन्नत नहि कएल जएतनि। सहायक सभहक प्रोन्नति के वास्ते अगिला पद सेहो निर्धारित क देल गेल अछि। सहायक के बाद प्रशाखा पदाधिकारी, अवर सचिव आर उप-सचिव अथवा ओकर समतुल्य पद हएत।

नियमावली के तहत सहायक के मूल पद में 75 फीसदी पद प्रत्यक्ष भर्ती सं भरल जाएत। एहि लेल बिहार कर्मचारी चयन आयोग प्रतियोगिता परीक्षा लेत। उच्च श्रेणी लिपिक कें सहायक पद पर प्रोन्नति वरीयता आ विभागीय प्रोन्नति समिति केर अनुशंसा पर हएत। एहि में आरक्षण रोस्टर कें ध्यान राकल जाएत।

समिति के अध्यक्ष कार्मिक आ प्रशासनिक सुधार विभाग के विशेष अथवा अपर वा संयुक्त सचिव हएताह। चारि टा आन सदस्य सेहो कमेटी में रहताह। एहिमें वित्त विभाग के एक प्रतिनिधि, मानव संसाधन विकास विभाग के स्थापना के प्रभारी पदाधिकारी, कार्मिक एवं प्रशासनिक सुधार विभाग द्वारा मनोनीत अनुसूचित जाति-जनजाति के पदाधिकारी आर सचिवालय सेवा स्थापना के प्रभारी पदाधिकारी शामिल छथि।

No comments:

Post a Comment