मानव संसाधन आ विकास मंत्री कपिल सिब्बल नर्सरी मे प्रवेश लेल उम्र सीमा तीन नहीं बल्कि चार साल रखबाक पक्षधर छथि। हुनकर कहब छन्हि जे तीन सालक उम्र में बच्चा सभ पर दाखिला प्रक्रियाक जटिलता आ इंटरेक्शन केर दवाब देब ठीक नहि छैक। स्पष्ट छैक जे पढ़ाई के तनाव सं मुक्ति लेल माध्यमिक स्तर पर समग्र सतत् मूल्याकंन प्रणाली लागू करबाक बाद आब सरकारक नजरि प्राथमिक शिक्षा पर अछि। सोमकए नई दिल्ली मे लोधी रोड स्थित इंडिया इस्लामिक सेंटर में ओ कहलनि जे नर्सरी मे दाखिला तीन नहीं बल्कि चारि साल पर हेबाक चाही। एहि सं प्राइमरी के समय बच्चा सभहक आयु पांच साल आर पहिल कक्षा में छह साल हएत। छह सालक बच्चा पढ़ाई बूझए लगैत छैक आर आगू जा कए तनाव सं मुक्ति में सक्षम भ जाइछ। सिब्बल कहलनि जे दिल्ली में एहि व्यवस्था कें लागू करएबा लेल मुख्यमंत्री सं बात करबाक वास्ते तैयार छथि ताकि आम राय बनि सकए आ बाकी राज्य में सेहो ई व्यवस्था लागू कएल जा सकए।Tuesday, 16 February 2010
नर्सरी में प्रवेश चारि साल पर हुअए
मानव संसाधन आ विकास मंत्री कपिल सिब्बल नर्सरी मे प्रवेश लेल उम्र सीमा तीन नहीं बल्कि चार साल रखबाक पक्षधर छथि। हुनकर कहब छन्हि जे तीन सालक उम्र में बच्चा सभ पर दाखिला प्रक्रियाक जटिलता आ इंटरेक्शन केर दवाब देब ठीक नहि छैक। स्पष्ट छैक जे पढ़ाई के तनाव सं मुक्ति लेल माध्यमिक स्तर पर समग्र सतत् मूल्याकंन प्रणाली लागू करबाक बाद आब सरकारक नजरि प्राथमिक शिक्षा पर अछि। सोमकए नई दिल्ली मे लोधी रोड स्थित इंडिया इस्लामिक सेंटर में ओ कहलनि जे नर्सरी मे दाखिला तीन नहीं बल्कि चारि साल पर हेबाक चाही। एहि सं प्राइमरी के समय बच्चा सभहक आयु पांच साल आर पहिल कक्षा में छह साल हएत। छह सालक बच्चा पढ़ाई बूझए लगैत छैक आर आगू जा कए तनाव सं मुक्ति में सक्षम भ जाइछ। सिब्बल कहलनि जे दिल्ली में एहि व्यवस्था कें लागू करएबा लेल मुख्यमंत्री सं बात करबाक वास्ते तैयार छथि ताकि आम राय बनि सकए आ बाकी राज्य में सेहो ई व्यवस्था लागू कएल जा सकए।
Subscribe to:
Post Comments (Atom)
No comments:
Post a Comment