* * * पटना के पैरा-मेडिकल संस्थान नेशनल इंस्टीट्यूट ऑफ हेल्थ एजुकेशन एंड रिसर्च जयपुर कें निम्स यूनिवर्सिटी द्वारा अधिकृत कएल गेल। *

Wednesday 27 January, 2010

किदन कहै छै(3) केर परिणाम

नव वर्ष में प्रारम्भ कएल गेल स्तंभ "किदन कहै छै" श्रृंखला केर भाग-3 में पूछल गेल छलः-
" घोघो तनने छी आ हुलकीओ दैत छी" केर माने की?
विकल्प छलः-
1.बनावटी व्यवहार कएनिहार पर व्यंग्य
2.घोघक मर्यादा केर उल्लंघन
3.अनिर्णय में पड़ल व्यक्तिक व्यवहार
4.हुलकी देबाक हुअए,तं घोघ हटा लेबाक चाही
पचास प्रतिशत वोट कएनिहार सही उत्तर देलनि अर्थात्-बनावटी व्यवहार कएनिहार पर व्यंग्य। शेष 50 प्रतिशत वोट कएनिहार तेसर विकल्प-अनिर्णय में पड़ल व्यक्तिक व्यवहार चुनलनि जे गलत छल।
पाठक सभहक लेल नव कहबी सेहो प्रस्तुत अछि। जं अहां एहि कहबी केर लेल कोनो नीक वाक्य सुझा सकैत छी,तं sujhavpeti@gmail.com पर अपनेक स्वागत अछि।

No comments:

Post a Comment